।। Jai Babaji ।। बनगाँव ऑनलाइन पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Bangaon Online ।। बनगाँव ऑनलाइन पर आपका स्वागत हैं ।। Jai Babaji ।।

शनिवार, 31 मई 2014

विद्यापति गीत - कि कहब हे सखि रातुक बात

कि कहब हे सखि रातुक बात !
मानक पइल कुबानिक हाथ !१!

काच कंचन नहि जानय मूल !
गुंजा रतन करय समतूल !२!

जे किछु कभु नहि कला रस जान !
नीर खीर दुहु करय समान !३!

तन्हि सएँ कइसन पिरिति रसाल !
बानर-कंठ कि सोतिय माल !४!

भनइ विद्यापति एह रस जान !
बानर-मुह कि सोभय पान !५!

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें