।। Jai Babaji ।। बनगाँव ऑनलाइन पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Bangaon Online ।। बनगाँव ऑनलाइन पर आपका स्वागत हैं ।। Jai Babaji ।।

शुक्रवार, 30 मई 2014

विद्यापति गीत - जौवन रतन अछल दिन चारि

जौवन रतन अछल दिन चारि !
से देखि आदर कमल मुरारि !१!

आवे भेल झाल कुसुम रस छूछ !
बारि बिहून सर केओ नहि पूछ !२!

हमर ए विनीत कहब सखि राम !
सुपुरुष नेह अनत नहि होय !३!

जावे से धन रह अपना हाथ !
ताबे से आदर कर संग-साथ !४!

धनिकक आदर सबतह होय !
निरधन बापुर पूछ नहि कोय !५!

भनइ विद्यापति राखब सील !
जओ जग जिबिए नब ओनिधि भील !६!

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें